close
सामग्री पर जाएँ

जर्मन भाषा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
जर्मन
German
डेयुच
उच्चारण:[dɔʏtʃ]
बाजल जाइवाला  स्थान:आरम्भिक युरोपक जर्मन भाषीसभ आ विश्वव्यापी रूपसँ जर्मन भाषी सङ्घसभ
आरम्भ:२०१४
मातृभाषी:९० मिलियन (2010)[] सँ ९५ मिलियन
भाषा परिवार:
लिपिल्याटिन (जर्मन व्यञ्जन)
जर्मन ब्रेल लिपि
आधिकारिक अवस्था
आधिकारिक भाषा

अल्पसङ्ख्यक भाषाक
रुपमे मान्यता
नियन्त्रण कर्ताकोनो आधिकारिक नियम नै
जर्मनी भाषा परिषद[]).
भाषा कोड:
आइएसओ ६३९-१de
आइएसओ ६३९-२ger (B)
deu (T)
आइएसओ ६३९-३
BERJAYA
BERJAYA
  (सह-)आधिकारिक आ मुख्य भाषा
  सह-आधिकारिक, मुदा मुख्य भाषा नै
  अल्प आधिकारिक/सांस्कतिक भाषा
  अल्प-आधिकारिक भाषा नै

जर्मन भाषा (जर्मन: Deutsch, डेउच) सङ्ख्याक अनुसार युरोपक सभसँ अधिक बाजल जाइवाला भाषा छी । ई जर्मनी, स्विट्जरल्यान्डअस्ट्रियाक मुख्य- आ राजभाषा छी । ई रोमन लिपिमे लिखल जाइत अछि (अतिरिक्त चिन्हसभक संग) । ई भारोपेली भाषा परिवारमे जर्मनीक शाखामे आबैत अछि । अङ्ग्रेजीसँ एकर नजदिकी सम्बन्ध अछि । मुदा रोमन लिपिक अक्षरसभक एकर ध्वनिसभक संग मेल अङ्ग्रेजीसँ बढिया अछि । आधुनिक मानकीकृत जर्मन कs उच्च जर्मन कहैत अछि ।

जर्मन भाषा भारोपीय परिवारक जर्मेनिक वर्गक भाषा, सामान्यत: उच्च जर्मनक ओ रूप छी जे जर्मनीमे सरकारी, शिक्षा, प्रेस इत्यादीक माध्यम अछि । ई अस्ट्रियामे सेहो बाजल जाइत अछि । एकर उच्चारण १८९८ ई. कs एक कमीशन द्वारा निश्चित अछि । लिपि, फ्रेन्चअङ्ग्रेजीसँ मिलैत-जुलैत अछि । वर्तमान जर्मनक शब्दादिमे अघात भेला पर काकल्यस्पर्श अछि । तान (टोन) अङ्ग्रेजी जका होइत अछि । उच्चारण अधिक सशक्त एवं शब्दक्रम अधिक निश्चित अछि । दार्शनिक एवं वैज्ञानिक शब्दावलीसँ परिपूर्ण अछि । शब्दराशि अनेक स्रोतसभसँ लेल गेल अछि ।

उच्च जर्मन, केन्द्र, उत्तर आ दक्षिणमे बाजल जाइ वला अपन पश्चिमी शाखा (लो जर्मन-फ्रिजियन, अङ्ग्रेजी)सँ लगभग छठम शताब्दीमे अलग होबs लागल छल । भाषाक दृष्टि सँ "प्राचीन हाई जर्मन" (७५०-१०५०), "मध्य हाई जर्मन" (१३५० ई. धरि), "आधुनि हाई जर्मन" (१२०० ई. कs कालखण्डसँ एखन धरि) तीन विकास चरण अछि । उच्च जर्मनक प्रमुख बोलिमे यिडिश, श्विज्टुन्श, आधुनिक प्रशन स्विस या उच्च अलेमैनिक, फ्रन्कोनियन (पूर्वी आ दक्षिणी), टिपृअरियन तथा साइलेसियन इत्यादी अछि ।

स्वन-विज्ञान

[सम्पादन करी]

जर्मन साहित्य

[सम्पादन करी]

'

योहान वुल्फगाङ्ग फान गेटे
(१७४९–१८३२)
फ्रेडरिक शिलर
(१७५९–१८०५)
ब्रोदर ग्रिम्म
(१७८५–१८६३)
थामस मान
(१८७५–१९५५)
फ्रेडरिक शिलर
(१८७७–१९६२)
BERJAYABERJAYABERJAYABERJAYABERJAYA

संस्थासभ

[सम्पादन करी]

जर्मन भाषाक प्रयोग आ पठन-पाठन कs बढ़ाबs वला बहुतो संस्थान अछि । एहिमे सँ प्रमुख अछि-

  • Verein Deutsche Sprache -- एकर स्थापना १९९७ में भेल छल । जर्मन भाषाक प्रचार-प्रसारक समर्थक अछि । विश्वक सबसँ पैग भाषा सङ्घ छी ।
  • Deutsche Welle -- जर्मन राज्य प्रसारक (ब्राडकास्टर)। बीबीसीक तुल्य। जर्मन भाषा आ विश्वक अन्य ३० भाषासभमे (हिन्दी सहित) रेडियो आ टीवीक प्रसारण करैत अछि ।

मैथिली-जर्मन बोलचालक वाक्य

[सम्पादन करी]
जर्मन वाक्यमैथिली वाक्य
jaहँ
neinनै
bitteकृपया (एकरा करी)
danke.धन्यवाद
Bitte schön.स्वागतम्
Kein problem.कोनो समस्या नै अछि ।
Entschuldigung!क्षमा करी ।
natürlichवास्तवमे (of course)
richtigसही
Vielen Dank.अहाँक बहुत बहुत धन्यवाद
Nein, danke.नै, धन्यवाद।
Es tut mir leid.हम दुखी छी ।
Verzeihen Sie.क्षमा करी ।
हिन्दी वाक्यजर्मन वाक्य
हम थकि गेल छी ।Ich bin müde.
हमरा एकटा नौकरीक जरूरी अछि ।Ich brauche einen Job.
हम खाइलs चाहैत छी ।Ich will essen.
हमरा नीन्द आबि रहल अछि ।Ich bin schläfrig.
हमरा खेबाक जरूरी अछि ।Ich brauche etwas zu essen.
हम आराम चाहैत छी ।Ich möchte mich ausruhen.
हमरा भूख लागल अछि ।Ich bin hungrig./ Ich habe Hunger.
हमरा आराम केनाए जरुरी अछि ।Ich muss mich ausruhen.
हमरा छोड़िक लेल चाहैत छै ।Ich will abreisen.
हमरा ठण्डा लागि रहल अछि ।Mir ist kalt.
हमरा अध्ययन केनाए आवश्यकता अछि ।Ich muss studieren.
हम जाइक लेल चाहैत छी ।Ich will gehen.
हमरा गर्मी लागि रहल अछि ।Mir ist heiß.
हमरा खत्म करsक जरूरी अछि ।Ich muss aufhören.
हम सुतैक लेल चाहैत छी ।Ich will schlafen.

किछ सर्वाधिक प्रयुक्त जर्मन शब्द

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

आकृति:भूगोल-आधार

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Mikael Parkvall, "Världens 100 största språk 2010" (The World's 100 Largest Languages in 2010), in Nationalencyklopedin
  2. "Rat für deutsche Rechtschreibung – Über den Rat", Rechtschreibrat.ids-mannheim.de, अन्तिम पहुँच ११ अक्टुबर २०१०